लाल अक्षर मे कारी समाचार

लाल अक्षर मे कारी समाचार
*
लाल रंग भटरंग भ’ गेलय
भोथ भेलै हाँसू केर धार
किएक हथौड़ा अपनहि थकुचय
लागल अछि अपने कप्पार 
एखनहुँ तं खेती-बाडी अछि
जेहनो अछि ।
खेत मे आबहुँ फसिल पकैए
बसात मे गहुँमक सोनक शीश झुमैये !
घटल नहि बढ़ले गेलय
गामक नगरक गरीब पर अत्याचार !
नित्य घटितहिं अछि लोक-हत्याक
लाल घटना छपितहिं अछि
कारी अक्षर मे एतेक रास अखबार .
*
गंगेश गुंजन
३० अप्रैल,२०१८.

टिप्पणियाँ