।सृष्टि जगह छेकैत छैक।

      । सृष्टि जगह छेकैत छैक।
                    🌳
सृष्टि होइत छैक तं ओ जगह छेकैत छैक।
गाछ ज'ड़ि भरि भूमि,
शिशु मायक गर्भ आ कोरा,
विचार मस्तिष्कक केंद्र छेकैत छैक-भाषा में।
     किछु ने किछु लैये क’ होइत अछि-सृष्टि !
कवि अक्षर भरि कागत लैत छथि आ कलम भरि मोसि !
                     🌻
                गंगेश गुंजन

टिप्पणियाँ