🏘️🏡
राजा केर जे सार अछि
से सबहक रखवार अछि
रूस उक्रेनक युद्ध ठनल
अमरीका सुतधार अछि
राजनीति के किछु ने फर्क
सोलहन्निए बहार अछि
भोटक गनती-स्थल पर आइ
जनते के नहि हकार अछि
साधारण जन किछु ने आर
ओकरे उघक कहार अछि
ऐ बिकायल काल मे की।
सत्याग्रहक नेयार अछि
बुढ़बा नेता बदलि सकब
सोचब तक बेकार अछि
पढ़लो लीखल माथा सब
पुरना पंथी बेमार अछि
मरि गेलय लोकक संवेद
झुट्ठा सभक प्रचार अछि
की देखै लय आब एत'
ओ के गुंजन ठार अछि।
**
गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें