ग़ज़लसन
*
एहिना सब टा सहू चैन मैन
एहिना नित दिन रहू चैन मैन।
*
यन्त्रक युग मे बड़द भेल भेल
ऊघू जोतैत बहू चैन मैन।
*
एक रती बेसी सुविधा लय
हाथ अपराधिक गहू चैन मैन।
*
अवसरवादो थीक हफीम सन
धुत्त निसाँ मे बहू चैन मैन।
*
सूतल रहू वियाहो भ' जायत
चतुर्थिओ हयत रहू चैन मैन।
*
चेता रहल छी हमहूँ ककरा
हमरे कहय जे रहू चैन मैन।
**
गंगेश गुंजन #उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें