श्रद्धांँजलिक नेपथ्य
फेसबुक सन सामाजिक माध्यम पर सद्य: दिवंगतक व्यक्तित्वक संग अपन त्वरित फोटोमय श्रद्धांँजलि कयल जाइत काल पढनहार केँ कय बेर सन्देह होइत छैक जे कर्ता दिवंगत विशेषक प्रति शोक व्याकुल श्रद्धा व्यक्त क' रहलि / रहल छथि कि एही लाथे अपन यशक कैलेंडर छापि रहल छथि ?
यद्यपि एहनामे ओहि दिवंगतक कोनो प्रसंगक एकल वा सामाजिक फ़ोटो शोक धवल लगैत छैक।
ओना तँ एकर भावात्मक अपवाद सेहो अबस्से सम्भव भ' सकैत छैक।
हँ, सम्बन्धित ओही महान लोकक वार्षिक स्मरण काल हुनका सङ्गें अपनो फोटो देब अपेक्षाकृत सहज बुझाइत छैक।
गंगेश गुंजन #उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें