🌼
एना किए अगुताएल दिन
जल्दी जल्दी पड़ाएल दिन।
बड़ बेशी घबरा गेलय
जा क' कतहु नुकाएल दिन।
अपराधी तँ पुरुष समाज
स्त्री भे'ल लजाएल दिन।
काली दुर्गा शक्तिक हाथ
रहइत कुना डराएल दिन।
रक्षक शिशु संसारक जे
अपने बेर हराएल दिन।
कुत्सित कर्म मनुक्खक दोख
लाजें अछि कठुआयल दिन।
रातिक आँचर पोछय भाल
लाल आँखि तमसाएल दिन।
•• गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें