🍂
ट्रम्प राष्ट्रपतिक सप्पत लेलनि
सुनि दुनिया कें लागल धक् द’
देशहुँ मे बड़ - बड़ दुर्घटना
की सुनलौं जे लागल धक् द’
अगिलग्गिक अदृश्य आ’गि सन
भागा - भागी लागल धक् द’
अपना पार्टीक नेता हारल
सुनि रिजल्ट ई लागल धक् द’
कतेक फ़र्क ऐ समाचार मे
मीतक दुख सुनि लागल धक् द'
आहाँ’क पहिल अबैया सुनि क’
म’न पड़ल,छल लागल धक् द’
२३.१.’२५.
गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडे.
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें