|📕|
‘बैल ने कूदय,कूदय तंगा’
✨
देशक राजनीति मे सम्प्रति ‘बैल ने कूदय, कूदय तंगा’ कहबी चरितार्थ भ’रहल अछि।देश दुनियाक जे परिस्थिति अछि तकरा बुझैत एखन एत’ अपन देसी पक्ष-विपक्ष पर्यन्त एकमत भेल छथि। किन्तु दुनू दलक कोइलपद्दू टुटपुजिया नेता-टाईप किछु लोक सब-गाम,मोहल्ला सभ मे सरकार आ विपक्षक कुश्ती लड़ि रहल छथि।
तमाशा तँ ई जे कुश्ती,उभय पक्ष बन्दो करब’ चाहैत छथि तथापि मचल अछि…!
व्यापक देशहित मे जाग्रत जनता कें तत्काल,बन्द करबाक आपसी बुद्धि बनयबाक चाही ई।
🌱🌱🌱
गंगेश गुंजन #उचतवक्ताडे.
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें