🌛। 🌱 ।🌜
एक टा बहुत प्रशस्त समर्पित मैथिली सेवी अध्यक्ष जी कोनो फेसबुक बतकही मे स्पष्टीकरण दैत लिखलखिन-
‘नेता बनबाक हमरा कोनो स’ख नहिं अछि। अनेर गप्प नहिं करै जाइ जाउ।’
‘हँ जे अपने सोड़हि सोड़हि नेता बनबैत हो तकरा ख़ुद नेता बनबाक कोन काज ? ’
कोनो फेसबुकिया नवतूरिया झटपट लिखलखिन आब एकर कोन जबाब ?
!😄!
[खौंझै ने तमसाइ लय : मात्र हंँसै-बिहुँसय लय]
जनहित में जारी।
गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें