बसात बसातिनक स्केटिंग

🌊
            बसात-बसातिनक स्केटिंग !                                     🌀
  श्वेताभ जल प्रवाह पर बेटी-बेटा समेत स्केटिंग करैत स्वच्छंद बसात-बसातिन कें देखैत निर्धन संँ निर्धन,असकर सँ असकर जाड़क दुपहरिया,असहाय संँ असहाय गर्मीक साँझ 
   हृदय सँ देखैत बीति जाइत रहय…मायक कोरा मे बैसल।
   से नदी,जल रौद आ बसात अलबत्त, 
खास छलय। बेसी काल पूबा पछिमाहा समाचार ठोढ़ सटा क’ कान में कहैत एकदम ल’ग द’ क’ सन सन  बहैत चलि जाइ छलय।
    ऐ दू हजार पचीस ईस्वी मे हम 
कथी वास्ते विकल होइत रहैत छी एते-एते काल।अवश्य जे
से दुःख कोनो कविक माटि पर गिलास खसि पड़बाक नहिं,भरलो गिलास ज’ल खसि पड़बाक रहैत छैक। 
चानि पर सूर्य आ कंठक त्रास-काल रहैत छैक।
  कय काल कवि,
गंगा-यमुना सन नदीक नदी सेहो बिसरि जा सकैए-मुदा,भूमि पर खसि पड़ल ओ भरि पितरिया गिलास 
इनारक ज’ल कें नहिं किन्तु हम,
    कथी वास्ते विकल भेल छी एखन ई भोरहरिया मे?
हमर निन्न एना किएक टूटल अछि 
बहुते दिन संँ राति नहिं बीति रहलय तकर विकलता तँ ने ?
की भ’ सकैए,कोन बात ...
जानि नहिं बाहर कोन विवाद पर कथी विमर्शक आसमर्द उठल अछि।
भरि समाज विचार-विचारक झाँव-झाँव किएक भेल अछि एना?
     महसमर सन लगैत ऐ भीड़-काल मे कोय मनुष्य तोतरा नै रहलय तथापि, 
शब्द स्पष्ट किएक ने सुनाइ पड़ै छैक तहिना नै भाषा आ ककरो विचार ? 
                          ❄️ 
                     गंगेश गुंजन 
                   #उचितवक्ताडे.

टिप्पणियाँ