🌜✨🌛 खटगर,करुगर,रुचिगर !
🌀
बच्चा सब हमर दैनिक स्वास्थ्य सूचना रखै वास्ते मोबाइल फ़ोन मे Fit ऐप लगा देने छथि।ओइ मे कैलोरी-तैलोरी,डेग कि.मी. तंँ जे,सूतब (निन्न)मद सेहो देने छैक। निन्न केँ चारि टा कोटि मे बाँटि देने छैक।
पहिल- (१-६०.) धरि-पूअर,
दोसर - (६१-७५.)धरि सेकेंडरी,
तेसर- (७५.-९०) धरि गुड तथा
चारिम- (९०.-१००) एक्सेलेंट।
आब हमर समाधान बाबूक कहब छनि जे नब्बे सँ सयक ई चारिम मद किएक देने छैक? ई तँ बेमतलबे ने। कारण हमरा अनुभव भेलय जे भरि चौबीस घंटा मे अपन गाढ़ सँ गाढ़ निद्राक मीटर कहियो नब्बे सँ आगाँ टपैत आइ धरि नहिं पढ़लिऐ-देखलिऐ। तखन तँ अर्थात यैह ने जे चारिम कॉलम कर्त्ता मने सुतनाहर लेल नहिं छनि। कारण साफ़ जे जाहि राति ओइ नब्बे रेंज मे सुतलाह तँ स्वयं पढ़ि कोना सकताह,खुद राम नाम सत्ये भ’ गेल रहताह ने।
नइ कहब जे समाधान प्रसाद जी ई ऐपक दाता कंपनी केँ निन्नक नब्बे वला कॉलम हटा देबाक परामर्श द’ चुकलखिन वा नहिं…
आब एकर कोन जवाब।
| 😜 | गंगेश गुंजन #उचितवक्ताडे.
१४जून,२०२५.
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें