🌒| कोय कहै जाउ तँ...
🌛 🌜
‘बुद्धिजीवी कें थेत्थर हयब जरूरी छैक की ?’ कोय कहै जाउ तँ।
टीवी,फेसबुक इन्स्टाग्राम इत्यादि पर बेसी काल जेहन-जेहन उग्र आवेगी दृश्य सब जगजियार रहैत छैक से देखि क’ कखनो काल ई उत्कट प्रश्न व्याकुल क’ दैए। जेना एखनहुँ।
रूस-उक्रेन,इजरायल-अमेरिका-इरान प्रकरण तँ समस्त पृथ्वी पर जन मानस केँ चिन्ता आ आशंका सँ दलमलित कयने छैक …से तँ फराक विपत्ति !
📓
गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें