स्मार्ट गदहा

💢                     स्मार्ट गदहा               💢
                               ☃️ 
   एक टा तेज़ तर्रार युवक फेसबुक पर टिपलखिन:
‘ असल स्मार्ट गदहा देखबाक हो तँ इनबॉक्स मे उपस्थित अछि। एखनहिं देखि लिअ’ नहिं तँ हुसि जाएब।’
  कि कोनो आप्त लोककें ई पढ़ना गेलनि।से मित्र छुटितहिं फ़ोन कयलखिन -
‘तों ई की कयलहिकय रे।फुर्ती संँ पोस्ट के डिलीट कर,डिलिट कर।’
   पोस्टकर्ता युवक बहुत हड़बड़ा गेलाह।
‘भेलै की रे से कह ने ?’ पुछलखिन।
‘मर्दे,इनबॉक्स मे तोहर अपने फ़ोटो छौक।’
दोसर दिसक मित्र कहलखिन।                                                ।😅।                        ऐ सन एक टा काजे भेल। तेजो तर्रार युवक कें ई अपन कान पकड़बौलक।        'आइ दिन सँ किच्छु भ’ जाए हड़बड़ा क’ पोस्ट नहिं देबै।मुदा तावत तँ ई चूक भ’ गेल रहनि।से एहन 'अवतार' पर जेहन अयबाक चाही से तावड़ तोड़ इमोजी भरल प्रतिक्रिया सब आब’ लगलनि … कय टा स्वागत आ बधाइक सेहो। 

                       गंगेश गुंजन ,                                     #उचितवक्ताडेस्क.

टिप्पणियाँ