आलोचना सं मुक्त भ' कऽ

आलोचना सं मुक्त रहि कऽ
*
विचारक सेहो ख़ुशामद कयल जाइत छैक। खुशामद सं विचार सेहो अगधा जाइए,मनुष्ये जेकाँ। सब समाज मे विचारक चाटुकार सेहो होइत छथि।प्राय: तें कालान्तर मे चाटुकारिता,समाजक बीच जीविको‌पार्जनक एकटा सरल उद्यम-उपाय सेहो बनि गेलैक। से बेसी राज्याश्रय मे भेलैक। बल्कि धनिक आ संपन्न वर्गक तथाकथित लोक-परिवार मे एकरा प्रश्रय द' क'  पोसल जाइत रहलै।  
     केहनो विचार हो चाहे ओ कतबो  प्रशस्त आ स्थापित कियेक ने भ’ गेल हो यदि ओकर आलोचना हएब थमि जाय तं बूझि लेबाक चाही जे ओ  'विचार’ बूढ़ झुरकुट्ट आ जर्जर भ’ गेल।अत: मरणासन्न।      

आलोचना सं मुक्त लोक तं सहजहिं मृत।    
🌳                           
-गंगेशगुंजन

टिप्पणियाँ