। अरिपनक आयु।

      ।। अरिपनक आयु ।।
                 🌱🌱
कोनो सिया सुकुमारी,कोनो मैथिल किशोरी मिथिला में आब तुसारी नै पूजैए।किएक नै पूजैये? तें कि तुसारीक अरिपनो मेटा गेल ? से अरिपन आब आंगन-भगवती चिनवार सं उठि क’ स्मृति मे पड़ि गेल। कोनो एक दिन तुसारी मैथिलीक स्मृतियहु सं मेटा जायत। आस्था, परम्परा,रीति-रेवाज‌ सभक किछु युगीन जीवनक उपयोगिता आ औचित्य होइत छैक। मुदा समाजक जीवन मे तकरो आयु अनन्त काल नहि।
    अरिपनहुक अपन शुभाशुभ आयु -और्दा होइत छैक। तकर वियोग में रहब कि आजुक ललना लेल युगक योग्य कोनो नव आयोजन ओ अरिपन ताकब-आनब? सोचबाक विषय आब ई ! 
   कलम केर कोनो गाछ सुखा जाइत छैक तँ दोसर गाछ रोपल जाइत छैक।
               🌾🌿🌿🌾
           (उचितवक्ता डेस्क)

टिप्पणियाँ