। भंसियाइत पुरस्कारक बाढ़ि ।
🌫️🌫️
गाम सब में बाढ़िक तबाही आशंका मादे फेसबुक पर एक नवतूर कविक चिंताक चर्चा पढ़ि क',कोनो अग्रज लेखक जे स्वयं नेनहि सं कमला माइक बाढ़िक दु:खान्त कष्ट भोगैत वयस्क भेल छथि से ओहि नवतूर लेखकके अपन लीखि क' पठौलथिन- 'शुभकामना!'
ओ युवक लेखक तुरंते परम विरक्त संन्यासी भाषा मे हुनका चोट्टहि
जवाब दैत लिखलथिन-
"ओना हम पुरस्कारकामी नै छी तँइ हमरा भसिएबाक शुभकामना काज नै करत "!
-'से तं जहिया साहित्य अकादेमी पुरस्कार भेटि जायत आ तकरा अहां घुरा देबैक तहिये मानब। एखन कोना। फेर शुभकामना ।'
अग्रज लेखक हुनका लिखलथिन।
😆!😄
-उचितवक्ता डेस्क-
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें