😊🌿😎 । कोरोना बुलेटिन। 😎🌿😊
आइ,
सब स्वतंत्र 'किछु पंतिया' !
।१.।
चलय फूल पर किछु बात च'लय।
कोरोना अपना जगह पर।
।२।.
कोरोनो काल मे फूल अपन
फुलाएब बन्द तंँ नहि केलक।
।३.।
बगड़ा-पड़वा-मैना चहकब,
कौआ कुचरब बंद केलक।
।४।.
आँखि नहि तँ रंग सभ टा कारी लागत।
अपन रहय संगे तँ सब टा लाल लागत। ।५।.
जाय नहि दी राखी ह्रदय मे पुरनो सब किछु बात। जेना अपन भोजनक बेर मे कुकुरो कौराक भात।
गंगेश गुंजन
🌿🌸 🌼🌾 🌺 🌾🌸 🌼🌿🌾🌸 🌼🌿
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें