उत्कीर्णा काल मे
उत्कीर्णा काल थीक ई सर्वथा
सभ दिसि सब किछु सभ टा
उत्कीर्णे भी रहलय।
गाम मे मुखिया,ब्लॉक मे बीडीओ संँ ल'
राजधानी पटना मे मुख्यमंत्री आ राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली मे लोकतांत्रिक व्यवस्था उत्कीर्णा पर उत्कीर्णा क' रहल अछि।
मात्र सत्ता नहिं,सभ ठाम विपक्ष सेहो
नित नव शैली आ उपाय संँ विरोध प्रतिरोधक संसद आ सड़क पर
समानांतर उत्कीर्णा क' रहलय।
साधारण जनताक हाथ मे किछु नहि तँ ओ डेग-डेग पर डेरायल, धैर्य ध' क' आश्चर्य करबा में उत्कीर्णा क' रहल अछि।
बुद्धि जीवी श्रेष्ठ जन
यावन्तो नीति अनीति मे धैर्यक चुप्पी लाधि क' तटस्थ रहबाक उत्कीर्णा क' रहल छथि।
कहलौं ने,
सभ उत्कीर्णे क' रहलय। हमहूँ जेना ई लीखि क'!
दिल्ली तँ खैर देशे भेल,
विश्व भरि बिदेश एक सँ एक उत्कीर्णा क' रहल अछि।
चीन,अमेरिका-रूस जापान अपना अपनी
तँ ब्रिटेन फ्रांस बराक अपन उत्कीर्णा क' रहलय।
क्यो कूटनीति क्यो कर्तूत नीति मे उत्कीर्णा क' रहल अछि।
पाकिस्तान अफ़गानिस्तान, तालिबान
सभ उत्कीर्णा क' रहल अछि।
इजरायल फिलिपिंस उत्कीर्णा आ
चीन समुद्र अभियान,अंतरिक्ष अभियान संगें हांँगकांँगी उत्कीर्णा क' रहल अछि।
संसार भरि आतंकवाद आतंकवादी मे
उत्कीर्णा क' रहल अछि।
देशक देश रक्तपाती इतिहासक
परमाणु पाती नव रक्तपातक सँ खँघारबाक
उत्कीर्णा करहल अछि।
एतावता,उत्कीर्णा अपन पुरातन मान-रूप त्यागि क' अधुनातन साज सज्जा मे अवतरित प्रतिष्ठापित होयबा के उत्कीर्णा क' रहल अछि।
सभ विधाक सभ विशेष सेहो अपन-अपन उत्कीर्णा क' रहल अछि।
एहि समस्त कें प्रतिबिंबित करबाक साहित्यिक दौड़ा दौड़ी मे
साहित्य विधा बेस उत्कीर्णा क'रहल अछि।
कवि सब थोक मे कविता लीखि
पोथी छपबै में उत्कीर्णा के रहल छथि प्रकाशक दर्ज़न दर्जन पोथीक सेट
छपबा ओ वितरण करबाक उत्कीर्णा
कऽ रहल छथि।
नव नव भयावह रोग बेर बेर आबि क' भलमानुस जनता कें आदंक देबाक उत्कीर्णा क' रहलय
तँ चिकित्सा विज्ञान तरातर
रोगक मूड़ी मचोड़़ सूई औषदक
आविष्कारक उत्कीर्णा क'रहल अछि।
कय युग पर मैथिली शब्दकोश सँ
बाहर भेलय
उत्कीर्णा ……..
ई समय पूरा पूरी
उत्कीर्णा काल थीक।.
**
गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें