👩👩👦👦👫 नेनो-भुटका वास्ते 👫👩👩👦👦 🌼
साधारण जन साधु मे एतबे तँ
बस अन्तर।
लोक तकैये बाहरी, साधु देखथि
भीतर।
🌸
गुणी मित्र केर संग हो अपनहुँ
गुणक विकास।
मेधा संग बुद्धिक प्रगति
ज्ञानक बढ़य प्रकाश।
👫
बनबैत अछि विद्या सदा ओकरे
टा विद्वान।
जिज्ञासा आ धैर्य बिनुभेटय नहिं
किछु ज्ञान।
🌳
सब बजार दोकान मे वस्तुक
अछि अम्बार।
जैह जरूरी हो अहँक कीनक
करी विचार।
🌲🌲
गलती होइछ मनुष्य संँ अनजानो
भऽ जाय।
कय ली तुरत सुधार जेआदति ने
पड़ि जाय।
🌿🌺🌿
सुनब अपन तारिफ सतत,सब के
लागय मीठ।
सयह लोक अपने गुणक अपने
ठोकय पीठ।
☘️☘️
झुट्ठा लोकक डण्ड जे क्यो नहि
कर विश्वास।
अपने पर तै व्यक्तिके अपनहुँ
नहिं विश्वास।
🌳
गंगेश गुंजन.
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें