🏘️🏡
🧎🏃🧘🏋️🤸।🌸 बाल प्रभात 🌸।
|🌳 🌄 🌳|
राति बीतल भोर भेल
गेल अन्हार इजोर भेल।
चन्द्रमा तारा मिझायल
उगल सूर्य भोर भेल।
चिड़ै चुनमुन कयल चिन चुन।
वातावरण विभोर भेल।
ओस सँ नहायल पृथ्वीक
देहोक थकनी थोर भेल।
कम रहलय माल जालो
खेत पथार आब थोर भेल।
गाय बरद बकरी पठरू
गाम जागल शोर भेल।
भोरुक्का स्कुली ताहरी
कतहु आब एक ओर भेल।
ऑन लाइन कक्षा मे आब
कंम्प्युटर अनघोल भेल।
🌄
#उचितवक्ताडेस्क। गंगेश गुंजन। ०६.१०.'२१.वसन्त विहार।
#
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें