प्रसंगात
मोटायल आ कम्यूनिस्ट !
मोटायल लोक कम्यूनिस्ट कथमपि नहिं भ' सकैए। कम्यूनिस्ट कतहु मोटायल- सोंटायल हो?' सुनि क' हम अचम्भित भ' गेलौं। टोकलिअनि- 'वाह,ई कोन लक्षण आ सिद्धान्त भेलै ?' 'एकदम सोझ। एक्कहु टा कोनो धोधि वला ऋषि-मुनि अहाँ देखा दिअऽ ।'
ओ चोट्टहि जवाब दैत कहलनि।
आब एकर कोन जवाब।
नोट:
ई हमर मित्र समाधान प्रसाद जीक समाजशास्त्र थिकनि।]
गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें