⚡ जुड़पित्ती उठल समय मे ⚡
समयेक देह मे जेना जुड़ पित्ती उठल छैक।
उतर आधुनिक काल जकाँ विचार सभ आब उत्तर कलियुग काल मे आबि गेल अछि।
जातिक जुड़ पित्ती,धर्म-कर्मक जुड़ पित्ती,
आचार-विचारक जुड़ पित्ती !
राजनीतिक,विचार धारा,
सम्प्रदायक जुड़ पित्ती !
राष्ट्र भक्ति,देशद्रोह,किसान आन्दोलन,बंगाल-बिहार-पंजाब जुड़ पित्ती ऊठल छैक।
अगड़ा पिछड़ा,पुरातनपंथी आधुनिक बुद्धि जीवीक जुड़ पित्ती।
विश्व बजारक,चीन पाकिस्तान भारतक जुड़ पित्ती !
अमेरिका रूस,पूब-पच्छिम,उत्तर दक्षिणक जुड़ पित्ती।
समयेक भरि देह जुड़ पित्ती उठल छैक।
आब,
किछु प्रान्तीय चुनावक जुड़ पित्ती उठल छैक।
राष्ट्र रक्षा आ वीवीआइपीक
भरिदेसी
सभ दल दलीय जुड़पिती उठल
अछि।
पाहुन जुड़पित्ती कोरोना फुट्टे
हाजिर अछि
देश क़ायम रहय ।
क़ायम अछि देश।
🌍
गंगेश गुंजन,
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें