🌼 फेसबुक-लोक ! 🌼
ओना तँ संसारे किन्तु ई फेसबुक
तँ सद्य: मायालोक थीक। ताहू मे
एतक सब सँ मायावी संवाद
अछि ''आइ लव यू'' 😛।
ओना तँ ऐ सम्मोहक वाक्य पर
एक बयस मे प्रायः सभक
अपन-अपन कॉपी राइट रहिते
छैक। मुदा तें फेसबुकक "आइ
लव यू''क माया मे नै पड़ि जाएब
कोय गोटय। देखब। कारण
जीवन मे पिछड़बाक कोनो समय
निश्चित नहिं छैक। मनुष्य कोनहुँ
बयस मे पिछड़ि जाइत अछि।
हमर एक टा बूजम दोस्त
अधबयसू रहय से एक बेर
शिमला पहाड़ी पर जे पिछड़ल से
गुड़कैत-गुड़कैत मधबन्नी
अस्पताल आबि गेल।
फेसबुकक 'आई लव यू'
कॉपीराइट वला- एकजनियाँ
नहिं,सबजना थीक।
सावधान। 😛😆।
(जनहित मे जारी ) गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें