🏡 कखनो टूटि जाइत मेंही ताग!
सब सम्बन्ध कोनो
सुजनी थिक।
बड़े यत्न सँ बहुत दिने,
मेंही सुइ-तागक सीयल
गुदड़ी चेथरी।
सैंतल पुरना वस्त्र जोगाओल मोन
लगा क' मधुबनी पेंटिंग जकाँ
कतोक रंग ताग सँ गाँथल,
कड़क जाड़ मे बड़े यत्न सँ
बिछबैत-ओढ़ैत रत्ती-रत्ती सुजनी।
गंगेश गुंजन #उचिवक्ताडेस्क।
१६.११.'२२.
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें