🐾
फेरो किछु अहिना चलि गेल
दिन सब टा जहिना ढलि गेल।
•
फेरो ने क्यो कहि क' आयल
गछि क' फेरो ने कोइ गेल।
•
झरकल फेर मज्जर टिकुला
रौद तेहन,बसात बहि गेल।
•
फेरो से लाचारी भेल
कनिञे धक्का सँ ढहि गेल।
•
फेरो धार बहल कोन दिस
सूखल बालु एतय रहि गेल।
•
सोर करय फेरो हमरे
क्लेश हमर जे सब सहि गेल।
•
फेर वैह प्रभुताक लड़ाई
देश-देश देखू भिड़ि गेल।
•
द' देलक फेर ओ धोखा
निर्घिन राजनीति छलि गेल।
•
फेरो सुख पड़ायल परदेस
गंगेशक दु:ख टा रहि गेल।
••
गंगेश गुंजन #उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें