सब बात मे कोनो न कोनो बात... ग़ज़लसन

                   ग़ज़लसन 

                       |🍀|
सब बात मे कोनो न' कोनो बात रहै छै
बाते मे बहुत बात सब आघात रहै छै।

किछु बात बड़ सरल हो किछु हो बड़े जटिल
गँहिरो लगैत बात किछु बेबात रहै छै।

बड़ यत्न सँ लगै छथि किछु लोक साधारण
लेकिन देखार होइतहिं अभिजात रहै छै।

किछु राफो-साफ़ बात मे हित रहत मलिन
प्रेमहुँक स्वच्छ भाव किछु संघात रहै छै।

बड़ दिव प्रशस्त अछि समाज मे कीर्तिक बात
तेँ लोकहु कुख्यात किछु विख्यात रहै छै।

ककरो सब बाते बुझाएत रुनझुन बजैत
ककरो तँ शब्द शब्द जेना आघात रहै छै।

मेंही बहुत लड़ाइ रहल धनिक गरीबक
ध'नेक शक्ति मे प्रबल अभिघात रहै छै।
                                               ••
                गंगेश गुंजन,                                      #उचितवक्ताडेस्क।                                    २१.दिसं.'२२.

टिप्पणियाँ