🐾
सोना- चानी- हीरा- मोती
एहि सबटा सँ दामी रोटी।
•
के रोपैये गहुम-मकै-धान
नीति नीक हो गाजा खेती।
•
ओना सब सन्तान एक रंग
मुदा कनी नीक अछि बेटी।
•
अनुनय विनय बँचल भाषा नहि
काज लए ध'रय पड़त नरेटी।
•
अपन काज अपने थिक उत्तम
गाँधी तँ नै बुझलनि हेठी।
•
न'व चलन मे बड़ किछु छूटल
सैंति क' राखब पुरना पेटी।
•
कहाँ समैया धान उपजैए
चलि पड़लए भदवरिया खेती।
•
नान्हि-नान्हिटा सुन्नरि छौंड़ीक
कहाँ देखब दु जुटिया चोटी।
•
गंगेशो केँ दू टा बेटी
वर्ष चारिएक अहुँक तँ पोती।
••
गंगेश गुंजन #उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें