🏘️| |🏡
ओ सबहक रखवार अछि जे राजा केर सार अछि।
•
साधारण जन किछु ने आर
ओकरे उघक कहार अछि।
•
पढ़लो लीखल माथा सब
पुरना पंथी बेमार अछि।
•
रूसूक्रेनक युद्ध ठनल
अमेरिका केनहार अछि।
•
भोटक गनती-स्थल पर आइ
जनतेकेँ नहि हकार अछि।
•
एहि बिकायल काल मे की
सत्याग्रहक नेयार अछि।
•
बदलब बहिरा नेता सब
सोचब तक बेकार अछि।
•
राजनीति केँ फर्के कोन
सोलहन्नी चत्कार अछि ।
•
मरि गेलय मनुखक करुणा
पापी सभक प्रचार अछि।
•
देखै लय की आब एत'
ओ के गुंजन ठार अछि।
•
#उचितवक्ताडेस्क। गंगेश गुंजन ( फेसबुक सँ पुनः प्रेषित पोस्ट)
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें