❄️📔❄️
मैथिली लेखन : सामान्य स्वास्थ्य !
सम्प्रति बहुत रास मैथिली कवि- लेखक पुरस्कारी दिनाय सँ ग्रस्त छथि। तें देखाइए जे कत्तहु,कोनो बैसकी वा मंच किएक न हो,ओइ पर मैथिलीक केहनो उदात्त चिन्ता आ आशय विषय पर चर्चा वा टिप्पणी किएक न रहओ,तकरो किछु गोटय चुट्टा सँ 'मैथिली साहित्यक पुरस्कार आ सम्मान' सँ जोड़बे टा करताह आ से विवाद दिनाय जकाँ कुरियबैत लगताह। (लगतीह ऐ दुआरे नहिं जे प्रायः एखन स्त्री रचनाकार सब व्याधिमुक्त बुझाइत छथि)।
एहि सब व्याधि संँ मुक्त यथार्थ प्रतिबद्ध लेखक,कात-फराक लीख'-पढ़' मे लागल रहैत छथि। मैथिली मे तनिको संख्या कोनो कम नहिं अछि। रच्छ अछि।
|| 🌿
गंगेश गुंजन #उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें