भोथ भ' गेलय भाषा -बोध !

                        📔|
         भोथ भ' गेलय भाषा-बोध !
                         💮
 भोथ दबिला सँ एक टा कुसियार तँ कटायत नहिं आ चललौंहें बाँस काटऽ ?
हृदयहीन भाषा साधारण लोकक घाम- पसेना कहै मे ऊब डूब करऽ लगैए, मनुष्यक प्रेम आ महाकरुणा एकरा कत' सँ ऊघल हेतै जे कहि सकत ?
   वर्तमान विश्वक जटिल मानवीय संकट कें लोक द्वारा बुझि सकबा योग्य कहि सकबा मे भाषा,अनमन ओहिना भ' गेलय जेना कोनो दलान वा सड़कक कात मे ओंघराएल पड़ल टूटल तङ्गा-पहियाक बैलगाड़ी हो ! 
                        •
                 गंगेश गुंजन                                    #उचितवक्ताडेस्क।

टिप्पणियाँ