छाउर नहिं तंँ माछ कोना बनैए गाम मे

                     🏡 🏡
  गाम मे आब माछ बनाओल-  सोनाओल कोना जाइत अछि? छाउर तंँ भेटैत नहिं छैक।रान्हलो जाइते हयत। खाइत तँ होएबे करैत हयब लोक सब ?मछही हाँसू तँ किछु सम्भ्रान्त घर मे बाँचल अछि। नव सम्भ्रान्त लोकनि तँ सेहो माछ आब बजारे सँ बनाओले कीनि अनै जाइत छथि।
               आवश्यक नोट :
  उचितवक्ता डेस्क ऐ आसाबाटी मे रहल जे कोलकाता सँ प्रिय लक्ष्मण सागर जी ई आवश्यक जिज्ञासा करबे करथिन।मुदा एहि विषय मे हुनका दिसि सँ कोनो उचावच नहिं देखि क' ई विनम्र किन्तु सबजन रुचिक जिज्ञासा  #उचितवक्ताडेस्क कें कर' पड़ि रहल छैक।
   प्रवासी मैथिल हित मे अवश्य कहै जाइत जाइ।
               विनम्र आग्रह।
                   🪷|🪷

           #उचितवक्ताडेस्क।

टिप्पणियाँ