⚡
विश्वास •
ककरो विश्वास टूटब चलैत काल साइकिल पाइडिलक चेन उतरब मात्र नहिं होइत छैक जे उतरि क’ चेन कें फेर चकरी पर चढ़ा देल जाय। बल्कि ओ भारी दुर्घटना ग्रस्त तेहन रेलक डिब्बा जकाँ होइत छैक जकर मरम्मतियो नहिं कयल जा सकय। कोनो स्टेशनक पटरी पर कतहु कतबहि मे टगल पड़ल रहैत छैक। जाइत-अबैत मनुष्य केँ देखाइत रहैत छैक। गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें