. "लेखक,प्रकाशक आ फेसबुक"
🌜। ।🌛
पात्र-परिचय:
पोथी प्रकाशक,
गंगेश गुंजन आ
फेसबुक: एक टा तेसर।
दृश्य:
फेसबुक दलान।
*
प्रकाशक जी : आग्रह अछि जे आब अपने
जल्दी सँ एकटा नीक सन
फ़ोटो पठा दिअ' सर।
गुंजन जी : हमर नीक कोनो फ़ोटो
अछिए नै यौ। जे अछि से
महाकुद्रूप,कारी...संकोच
होइऐ फोटो पठबैत...
फेबु.क तेसर : आब से तँ जेहन अपने छिऐ
फोटोओ तेहने आओत।
कोनो विश्वविख्यात रघु राय
जी सेहो तँ फ़ोटो ग्राफरे हेता
एक टा आर फोटो घीचि
देता। विधाता तँ नै छथि जे
आंँखि मुँह कान बदलि क'
गंधर्व बना देता।
|📕 😆 📕|
इति,
दलान नाटिका।
#उचितवक्ताडेस्क प्रस्तुतीकरण।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें