❄️❄️
लेखक महाशय फेसबुक पर
लिखलखिन-
'अनुवादक लोकनि सँ आग्रहपूर्वक
निवेदन अछि :
"इन दिनों मेरी किताब"
वाक्यांश केर सटीक 'मैथिली' अनुवाद
की होएत...🙏?'
-'हम अनुवाद करबाक अढ़ाइ टके शब्द चार्ज करैत छिऐक।अहाँक चारि टा शब्द अछि। कुल -दस टाका हमरा ऑन लाईन पठा दिअ'। तीन दिनक भीतर अहांँक व्हाट्सएप्प पर पहुँचि जायत।
मँगनी मे काज वला जमाना आब नहिं रहलै। समर्थ भ' गेलि छथि मैथिली आब! जय मैथिली!'
कोनो पकठोसल अनुवादक तुरन्त जवाब दैत लिखलखिन।😝। गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडेस्क।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें