बात छैक जे... फगुनहटि: एक

▪️       बात छैक जे…
                           फगुनहटि !
                    ।एक।
[फगुआक अग्रिम बधाइ दैत एक टा नव लेखक मित्र ई प्रकरण लिखि क’ पठबैत जेना हमरा पर अखाड़ाक माटि फेकलनिहें‌ ।ईहो लिखलनिहें जे अछि सामर्थ्य तँ एकरा यथावत अहांँ फेसबुकपर पोस्ट करू एखने पता चलि जाएत केहन उचितवक्ताडेस्क अछि।मुदा ऐ मे हमर नाम नहिं छपबाक चाही।
   आब हमरा उपाये की।पोस्ट करब नैतिक दायित्व छल। से, प्रस्तुत अछि ई -]
                          फ़ोटो-वृत्तान्त
                                🗣️ 
‘गंगेश गुंजन कहाँक कवि आ कतअक  लेखक? एक टा ठेकनगर फ़ोटो तंँ छनिहें ने। सब टा अपरोजके फ़ोटो सब फेसबुक पर दैत रहैत छथि। 
   सुनै छी जे हालहि मे कोनो कार्यक्रम लेल साहित्य अकादेमी,दिल्लीक एक उप सचिव, हुनका फ़ोन कयलखिन जे एक टा नीक सन अपन फ़ोटो पठाउ।’ त्वरित कार्रवाई करैत अपना जनैत गुंजन जी अपन सब संँ नीक फ़ोटो तकलनि आ अनमन ताही तत्परता सँ ई-मेल क’ देलखिन जेना मिथिला मे बियाह करै लय आतुर इच्छा मे कोनो बिदेशी युवक व’र सौराठादि प्रशस्त गाम मे अपना आप्त सम्बन्धी के अपन फ़ोटो पठा रहल हो। 
    फ़ोटो ई-मेल तंँ कइए देलखिन जे अतिरिक्त सावधानी रखैत उक्त उपसचिवक व्हाट्सएप्प पर सेहो पठा देलखिन।
   पन्द्रह बीसे मिनटक भीतर फ़ोटो घुरबैत उपसचिव व्हाट्सएप्प पर अपन विनम्र संदेश लीखि पठौलखिन :
‘खेद है सर ! संयोजक जी सहित मैथिली कार्यसमिति के किन्हीं भी माननीय सदस्य को आपकी यह फ़ोटो नहीं जँची।गूगल पर उपलब्ध आपका साहित्यिक कृतित्त्व भी कुछ ख़ास नहीं पाया गया अतःतत्काल कोई अच्छी-सी फ़ोटो एवं अपना पूरा साहित्यिक विवरण भेजने का कष्ट करें।’ इस परिस्थिति की लाचारी मे प्रस्तावित आयोजन फिलहाल स्थगित करना पड़ रहा है। आपके सहयोग की अपेक्षा और आशा के साथ,भवदीय,....’  
    पास मे कोनो देखनुक फ़ोटो रहनि तखन ने पठबथिन।आब सुनैत छी जे एही व्यथे बेचारे गुंजन जी महाअफसोच मे तँ पड़ले छथि,उपर सँ मन घोर कयने पछताइओ रहल छथि जे जहिया रेडियो मे सहज सम्भव छलनि तहिये आने सहकर्मी अफ़सर सब जकाँ रघुराय जी सँ ओहो अपन फ़ोटो घिचा क’ किएक नहि राखि लेलनि जे आइ अपनहिं एक टा नीक फ़ोटो लय रघुराय जी टाईप फ़ोटो ग्राफ़र कलाकार केँ आतुर भ’ क’ तकैत फिफियाएल फिरि रहल छथि। 
   संकट ई जे सम्प्रतिक महान् फ़ोटो ग्राफ़र सब हिनका तेहन पैघ लेखक मानिते ने छनि जे भाँति-भांँतिक कवियाएल पोज़ मे हिनको फ़ोटो घीचनि ? आ रघुराय सन फ़ोटो कलाकार हिनका भेटथि कोन योग्यता पर ?
                          🗣️ 🗣️
अवशिष्ट समाचार ई निकलि क’आबि रहलय जे एहि फ़ोटो-प्रकरणक यथार्थताक परिपुष्टिकरण हेतु कतिपय नव ऑनलाइन पत्रकार कथित साहित्य अकादेमीक उपसचिव जी सँ सम्पर्क साधै मे लागल छथि।उपसचिव जी फगुआ मे गाम गेल छथिन। फ़ोने ने उठबै छथिन। एम्हर गुंजन जीक फ़ोन लगातार व्यस्त चलि रहल छनि। 
                       🪻🪷🪻                                            गंगेश गुंजन 
                  #उचितवक्ताडेस्क।

टिप्पणियाँ