🌖 बात छैक जे…
कम संँ कम ई पावनि-तिहार,फगुओ बीचे तँ फेसबुक पर बोकरब बन्द रखितथि ई कतिपय बुद्धिजीवी जन।
किछु लोकक अजबे स्वभाव छनि।देश दुनियाँक 'विचार' आ चिन्ता संँ जेना चौबीसो घंटा जीह हौंड़ैत रहैत छनि।
औ महराज,
ने अमेरिका पड़ा जायत ने अपने देश
कतहु ! लोकतंत्र,संसद आ राजधानी
दिल्ली सब टा अपने ठाम रहत।पक्ष
-विपक्ष स'ब।दू-तीन दिन चैन रहू।
🌄
गंगेश गुंजन
#उचितवक्ताडे.
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें