लहरि मीडिया: मिथिला कैलेंडर ( विनोद)

२९.१२.’२५.

कैलेण्डर ( मैथिली वार्षिक पंचांग - 2026) लहरि मीडिया रांँची के कार्यालय से प्रारंभ हो गया है। जिनको भी चाहिए आकर निःशुल्क प्राप्त कर सकते हैं। 

‘लहरि मीडिया’,राँचीक ई विज्ञापन पोस्ट पढ़ितहिं कहां दन मधुबनी सँ ल’ कोलकाता, दिल्ली धरि भरि मिथिला राँचीक टिकट कटयबा लय अफरातफरी मचि गेल। 

 किन्तु एही प्रसंग काल्हि एकटा दिल्लिआइट मैथिल अजगुते खिस्सा कहलनि। ओ सुनलखिनहें जे उत्साह मे हड़बड़ा क’ ‘राँची लहरि’क किशोर मालवीय जी तँ भारी विपत्ति मे पड़ल छथि। मंगनी मिथिला कैलेण्डरक आकर्षण मे कहां दनि रक्सौल वा विराट नगर सँ एक टा मैथिली सेनानी राँची हटिया एक्सप्रेस सं लत्ते फत्ते तेसरे दिन भोरे राँची पहुँचि गेलखिन जेना किछु बड़का सफलताक आह्लाद मे होइथ, किशोर जी कें अपन रांची शुभागमक (पहुंँचनामाक) फ़ोन कयलखिन। स्वभावक अनुरूपे किशोर जी आरो आह्लाद मे उक्त सज्जनक स्वागत करैत लहरि मिथिला कार्यालय भवन मे अबैक विह्वल आग्रह कयलखिन। सोत्साह समय बूझि आगन्तुक कमरा नंबर समेत अपन होटलक पता दैत ओ किशोर जी कें आश्वस्त करैत कहलखिन- 

बेस तँ भेंट भ’ रहल छैक।


आब असल किस्सा तो आब अछि-

भोजन पान-सुपारी इत्यादिक पश्चात् 

पहिनहिं सँ विधिवत भरल टी ए डीए बिल सोझाँ रखैत कहलखिन 

              (व्यंग्य विनोद)

गंगेश गुंजन #उचीतवक्ताडेस्क।

टिप्पणियाँ